girdhari Jha

girdhari Jha

Share

Contact information, map and directions, contact form, opening hours, services, ratings, photos, videos and announcements from girdhari Jha, Health/Beauty, Delhi.

Photos from girdhari Jha 's post 10/12/2025

आई भोरे भोर अखिल भारतीय मिथिलाराज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष डाक्टर बैद्यनाथ चौधरी " बैजू " ,अंतर्राष्ट्रीय संयोजक प्रोफेसर अमरेंद्र कुमार झा,युवा अभियानी गिरधारी झा, (यानि हम)बिहार भाजपा प्रदेश उपाध्यक्ष सरोज रंजन झा जितेन्द्र पाठक सहित एकटा प्रतिनिधिमंडल जदयू के राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष एवं राज्य सभा सांसद श्री संजय कुमार झा सँ दिल्ली मे भेंट केलैनि। हुनका पाग-दोपटा पहिराय स्वागत कएल गेल।
एनडीए विकास के बात त करैत अछि, मुदा संघर्ष समिति के पृथक मिथिला राज्य, मैथिली मे प्राथमिक एवं माध्यमिक पढ़ाई संग मिथिलाक सर्वांगीण विकास के बात पर प्रतिनिधिमंडल माननीय सांसद सँ भेंट केलैन। मिथिलाक सर्वांगीण विकास लेल उत्साहपूर्ण बात विचार भेल। डा० बैजू मिथिलाक सभ्यता-संस्कृति-धरोहर के रक्षार्थ अपन एजेंडा सेहो देलैन। प्रोफेसर अमरेंद्र कुमार झा मैथिली मे प्राथमिक आ' माध्यमिक शिक्षा पढ़ाई पर बात रखलैन।
संघर्ष समितिक राष्ट्रीय प्रवक्ता आ' मीडिया प्रभारी ईंजीनीयर शिशिर कुमार झा कहलनि जे मिथिलाक मान-सम्मान-पहचान लेल मिथिला राज्य मात्र एक समाधान छैक।मिथिलाक हर प्रतिनिधि एवं नेता सँ एहि तरहक भेंट आ' संवाद मिथिला राज्य आंदोलन के आओर मजबूती देत।
जयतु मिथिला राज्य।
जयतु मैथिली।।
जयतु माँ जानकी ।।।
#मिथिला #मिथिलापेंटिंग्स

17/10/2024

चंद्रगुप्त साहित्य महोत्सव 2024 के लिए आमंत्रण

आज संजीव सिन्हा, सह संपादक, कमल संदेश से भेंट कर उन्हें चंद्रगुप्त साहित्य महोत्सव में आमंत्रित किया गया।

हमें विश्वास है कि उनकी उपस्थिति से महोत्सव को नई ऊंचाइयां मिलेंगी और साहित्य जगत में सार्थक चर्चा होगी।

हम आभारी हैं कि वे इस आयोजन का हिस्सा बनेंगे और इसे और भी विशेष बनाएंगे।

आयोजन समिति
चंद्रगुप्त साहित्य महोत्सव 2024

Photos from girdhari Jha 's post 05/05/2023

Photos from girdhari Jha 's post 23/03/2023

हम आपके बलिदान के हमेशा ऋणी रहेंगे.. भगत सिंह,राजगुरु, सुखदेव
शहीदों को क्रांतिकारी सलाम!
इंकलाब जिंदाबाद!
ार्च_शहीद_दिवस

Photos from girdhari Jha 's post 15/03/2023

❤️❤️मिथिला❤️❤️ यात्रा पर 🙏🙏🙏

10/03/2023

नमस्कार मैथिलजन,
मिथिला एकीकरण के प्रयास हेतु बहुप्रतीक्षित *संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा* दिनांक 15 मार्च 2023 सँ *दिघ्लबैंक किशनगंज* सँ प्रारंभ होबय जा रहल अछि। मिथिला राज्य अभियानी ईंजीनीयर शिशिर कुमार झा के संयोजन
*आशीष चौधरी के नेतृत्व आ मणिभूषण राजू* के समर्थन सँ समस्त मिथिला-मैथिली संस्था आ संगठन के एकसंग आनि समस्त मिथिला के एकसूत्र में जोड़ि मिथिलाक घर-घर में जा क *पृथक मिथिला राज्य* केर आवश्यकता हेतु जनजागरण एहि पदयात्रा के मूल उद्देश्य अछि। *किशनगंज* सँ लय क *चम्पारण* तक सम्पूर्ण मिथिला अछि आ एहि क्षेत्र में बाजयवला भाषा आ बोली *मैथिली* अछि। राजनीतिक कुचक्र आ गलत शासन के कारण आई हमसब अलग-अलग क्षेत्र आ भाषा के नाम पर तोड़ल जाइत रहलौ आ एक तरह सँ एकटा उपनिवेश के रूप में .... मजदूर क्षेत्र के रूप में देशभरि में पसरल छी।
*एहि जनजागरण आ मिथिला एकीकरण हेतु ई पदयात्रा तीन चरण में किशनगंज सँ चम्पारण तक जायत आ करबद्ध प्रार्थना संग लोक के अपन अस्तित्व आ अस्मिताक रक्षा हेतु ई संकल्प कराओत।*
आऊ एहि महाअभियान में संग दी आ यथासंभव सहयोग करी।
कोनो तरहक सहयोग आ विचार हेतु 9266013065, 8826566136, 9958889191 पर सम्पर्क करी आ *आर्थिक सहयोग हेतु 9266013065, 8207820236 पर Google Pay / Phone Pay /PayTM* कय सकय छी।
समस्त मैथिलजन सँ आग्रह जे कम सँ कम 1 टका के सहयोग अपन मिथिला राज्यक संकल्प हेतु अवश्य करी आ सूचित करी।

धन्यवाद
ईं. शिशिर कुमार झा
राष्ट्रीय प्रवक्ता आ' मीडिया प्रभारी
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति
ईमेल: [email protected]
www.maithilmanch.in
पदयात्री:-
1.ईंजीनीयर शिशिर कुमार झा
2 मणिभूषण राजू
3. प्रो० प्रकाश झा
4. आशीष चौधरी
5. विजय मिश्रा
6. गिरधारी झा
7. सुजीत कु मिश्रा
8. पप्पू साह
9. अमित झा
10. पुरूषोत्तम वत्स
11. रमणजी झा
12. रामदास सदाय

01/01/2023

Happy new year sir..... mananiy kulpati mahoday Lalit Narayan Mithila Vishwavidyalay aor senate sadasya sir.........

Want your business to be the top-listed Beauty Salon in Delhi?
Click here to claim your Sponsored Listing.

Category

Website

Address


Delhi